Jharni/Jhari-Jhari Dance

Enepalese Published on: November 12, 2022

झण्डा मेला आ झरी/झरनी नाच

Mahabiri Jhanda is celebrated mainly in northern Bihar/India primarily in Sitamarhi, Darbhanga, and many parts of South-Eastern Nepal around Janakpur.

The Mahabiri Jhanda is made up of a bamboo structure which could be more than 100 feet tall with a triangular flag at the top with colorful decorations of God and Goddesses at every floor of the mast.

This event attracts communities across villages who come together for a public procession and a celebration of deities where everybody has an equal access to God.

Along side the procession, the participating crowd marches carrying weapons like lathi, sword, bow, and arrow to take part in an age-old tradition of rural competitions which also feature wrestling.

This event showcases the folk musical instruments such as Dholak, Nagara,Piphi etc in their original form.

The crown jewel of this ethnic festival is the group dance called Jharani/Jhari Jhari which the video below has tried to capture.

Interestingly there is a lot of similarities between Mahabiri Jhanda and the Daha festival celebrated by the local muslim community in the region.

Apparently, the two communities had historically enjoyed each-other’s festivities until the recent history.

Sadly, this festival is not well documented anywhere even in the vast world of internet and this could be a yet another instance of our rich cultural heritage on the brink of extinction or degeneration.

This is Salhesh’s sincere effort to publicize and promote the uniqueness and mass appeal of this festival.

Salhesh thanks Mr. Dhirendra Premarshi’s take below on this festival in Maithili.

#jharnidance#mahabirijhanda#folkdance#folkcultureofmithila#Sitamarhi#Darbhanga#Janakpur#mithilanchal#mithila#enviornmentfriendlyfestival

झण्डा मेला आ झरी/झरनी नाच

————————————-

महाबिरी झण्डा मेला मिथिलाक एक प्रसिद्ध धार्मिक उत्सव अछि। एकर प्रभाव प्राचीन मिथिलासँ बाहर गङ्गाक दक्षिणवर्ती क्षेत्रमे सेहो पाओल जाइत अछि। अइमे नाचल जाएवला झरी-झरी/झरनी नाच अपन राग-भास आ सामूहिक उत्साह प्रदर्शनकेँ लऽकऽ विशेष महत्त्व रखैत अछि। ऐतिहासिक रूपमे अइ नाचक अस्तित्व कमसँ कम दू सय वर्षसँ पुरान रहल जानकारसभक कथन छनि।

मिथिलामे अही प्रकृतिक नाचक व्यवहार इस्लाम धर्मावलम्बीलोकनि दाहा मेलामे सेहो करैत छथि। दुनू नाचक भास आ शैलीमे बेस समानता छैक। सांस्कृतिक अध्येता डा. भवनाथ झा कहैत छथि – किछु दशक पहिनेधरि हम अपन गाममे जखन झरनी देखैत रही तँ मुसलमानसभक ओइ उत्सवमे दू तिहाइसँ बेसी हिन्दूसभक सहभागिता रहैत छलैक। डा. झाक कथनानुसार सन् १८६० सँ पहिने भारतवर्षमे महाबिरी झण्डासहित हिन्दू-मुसलमानसभक विभिन्न धार्मिक/सांस्कृतिक उत्सव दुनू धर्मक लोक सहज-स्वाभाविक रूपेँ मिलिजुलिकऽ मनाएल करैत छल। बादमे अङ्ग्रेजसभ अपन शासनक मार्गकेँ सहज बनएबाक अभिप्रायसँ दुनू धार्मिक समुदायबीच फूट अनबाक विभिन्न क्रियाकलापसभ सञ्चालन करैत गेल, जकर परिणामस्वरूप पछिला समयमे धर्म, जाति, समुदाय आदि आधारपर समाज खण्डित होइत गेल अछि।

मिथिलामे अइ तरहक धार्मिक जुलूस आनो-आनो सन्दर्भमे कएल जाइत रहलैक अछि। महादेव रथ, श्रीकृष्ण रथ, मिथिला परिक्रमा आदि एकर उदाहरणसभ अछि। महाबिरी झण्डा आ दाहामे कएल जाएवला झरी आ झरनी गीत-नृत्यक समानता त आह्लादकारी अछिए, मुदा कोन कथीसँ प्रभावित अछि तकर स्पष्ट जानकारी नइ भेटैत अछि। सामान्यतया मुसलमानसभक धार्मिक क्रियाकलापमे गीत-सङ्गीतक सांस्कृतिक प्रावधान नइ रहल आ मिथिलामे झण्डा आ दाहा दुनूमे दुनू समुदायक सहभागिता रहबाक कारणेँ झण्डा मेलावला झरी नाचक प्रभाव दाहावला झरनीमे पडल होएबाक बात बेसी युक्तिसङ्गत बुझाइत अछि।

~ धीरेंद्र प्रेमर्शी

https://www.facebook.com/100087278292136/videos/498212638903082